शनिवार, 26 जून 2010

माल्हो – मैथिली कथा संग्रह

Read more...

क्षणक छनाक ...

Read more...

बृहस्पतिवार, 24 जून 2010

भारत भूमि महान

मार्ग कठिन अछी आत्मबल सबल अछि

पाठकक स्नेहे स मनोबल बढल आछी !
हम तऽनिमित छि मिथिलाक पुत्र केर ,
दीन राति बाटैत छि मैथिलिक सूत्र केर !!
मिथिला राज्य चाही बस एक अछि अभिलाषा ,
अपन गाम घरक  सहयोग स जरुर पुरत इ आशा !!!
 



गीतकार - मुकेश मिश्रा

पट्टीटोल , भैरव स्थान ,
झंझारपुर ,मधुबनी ,
बिहार , ८४७४०४
मो -9990379449

 
 
             भारत भूमि महान
हमर हे भारत भूमि महान  ----- 
आहा केर लाखक लाख प्रणाम | 

भाल मुकुट हिमगिरी बीराजय ,
 बन उपवन तन -मन के साजय,
जलनिधि पायर पखारथी सदिखन ,
कय कल -कल स्वर गान !
हमर हे भारत भूमि महान ----
आहा केर लाखक लाख प्रणाम !!
दिनकर प्रथम किरन दय उर पर ,
गाबय कोकिल सातहु सुर पर ,
शीतल बिंदु इंदु झहराबथी ,
तरेगन  करैत अछि   मुस्कान
हमर हे भारत भूमि महान -----
 आहा केर लाखक लाख प्रणाम
ब्रम्हापुत्र ,गंडक आ गंगा ,
सरयुग ,कोशी ,यमुना ,तमसा ,
वक्षस्थल पर खेलथी सदिखन
 कमला और बलान !
हमर हे भारत भूमि महान ---
आहा केर लाखक लाख प्रणाम
शंकर ,व्यास ,मंडन आ दधिची,
बिद्या बारीधी पुण्र बिभूति ,
देलनि रंग बीरंगक पोथी गीता ,वेद ,पुरान !
हमर हे भारत भूमि महान ----
 आहा केर लाखक लाख प्रणाम
गाँधी ,बुद्ध ,सुभाष ,भगत केर ,
जंथी के नही एही जगत केर
सीता ,साबित्री सन कर्मठ ,
मनु सनक  कतेको  सन्तान !
हमर हे भारत भूमि महान ------
 आहा केर लाखक लाख प्रणाम
           (समप्प्त )

Read more...

शुक्रवार, 11 जून 2010

फहराइयै पताका-मनीष झा "बौआभाई"

फहराइयै पताका
देखू मिथिला नगर के फहराइयै पताका
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

जतक नारी जानकी श्रीराम केर भामिनी
जतक सभ्य संस्कृति के गाबै छथि रागिनी
ई नगरी अपन छोट नगरी जुनि बुझू
अछि सगरो जगत में मचौने धमाका
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

हल्ली-मदन-वाचस्पति के ख्याति छन्हि
विद्यापतिक गीत सब गुनगुनाइत छन्हि
परमज्ञानी सत्यदेव ज्योतिष के ज्ञाता
मिथिला कहल जाईछ संपन्न गुणवाला
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

कोइली कुहुकि स्वर पंचम में गाबय
झमझम बरसि मेघ कजरी सुनाबय
भोरे पराती गाबैइयै सुग्गा
परवा स' सजय रोज मंदिर-शिवाला
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

नीपल जाईछ पीढ़ी गोसाऊनिक नित रोजे
पूजा के शंखनाद कोश-कोश गूजे
घर-घर में शालिग्राम, तुलसी के चौरा
घोघ तर में नारी लागय सीता आ राधा
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

तुलसिक पनिसल्ला में कूश आ डाबा

नाग पूजल जाइछ ल' क' दूध संग लाबा
पातैर में भोग लागय आम-खीर-पूरी
जगदम्बाक कृपा स' हटल रहय विघ्न बाधा
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

यश-कीर्ति-वैभव स' परिपूर्ण मिथिलांचल
जनक जीक न्याय के देवतो सब मानल
"मनीषक" अछि कामना जे बढ़ू सब आँगाँ
मैथिलक विचार उच्च, जीवन होइछ सादा
जत' बाँचल अछि एखनहु धरि मान ओ मर्यादा

मनीष झा "बौआभाई"
ग्रा.+पो.-बड़हारा,
भाया-अंधरा ठाढ़ी
जिला-मधुबनी (बिहार)-८४७४०१
हमर ब्लॉग:http://manishjha1.blogspot.com/

Read more...

बृहस्पतिवार, 10 जून 2010

बुल्लुक टाफी चित्रकथा ( नीचाँक चित्र सभकेँ बेरा-बेरी क्लिक करू आ पढ़ू-देखू।)


Read more...

बृहस्पतिवार, 3 जून 2010

जून,2010 केर पाबनि-तिहार

4 जून-कालाष्टमी व्रत
5 जून-शीतलाष्टमी
6 जून-नवमी
8-अपरा/अचला एकादशी
9 जून-मधुसूदन द्वादशी
10 जून-वट सावित्री व्रत आरंभ। प्रदोष व्रत। शिवरात्रि व्रत।
11 जून-फलहारिनी कालिका पूजा
12 जून-शनिदेव अमावस्या,ज्येष्ट अमावस्या,वटसावित्री अमावस्या,पीपल पूजन,
13 जून-दस दिनक गंगा दशहरा-स्नान प्रारंभ
15-मिथुन संक्रांति तृतीया
16 जून-विनायक चतुर्थी,पंचमी
17 जून-विंध्यवासिनी पूजन,षष्टी
19 जून-दुर्गाष्टमी व्रत,श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत
21 जून-निर्जला एकादशी। आचार्य श्रीराम शर्मा के पुण्यतिथि,सौर वर्षाकाल प्रारंभ
23-प्रदोष
24-त्रयोदशी,आद्याशक्ति के महापूजा के विशेष योग
25 जून- पूर्णिमा व्रत। सत्यनारायण पूजा-कथा
26-ज्येष्ट/वटसावित्री/देवस्नान पूर्णिमा
30-गणेश चतुर्थी

Read more...

हमर कनियाँ (कविता) - सन्तोष मिश्र

हमर करम तहिए फुटल
जे कनियाँ भेल कारी
एशनो पाउडर सेन्ट लगाकs
बने हेमा मालिनी

करियोकें निक नहि कहबै त
ई नइ होएत समझदारी
काम धाम के नाम पर हुनका
भsजाइ छनि बिमारी

गाम - गामकें नोतपुरीमें
संगे जाएत हमर कनियाँ
पाहून - परक जौ आएत त
नहि उठाएत ओ बड़का हँड़िया

देह दुखाइए, माथ दुखाइए
करत नहि आइ भन्सा
साढ़े आठ बाजिगेल त
देखs चलिगेल चन्द्रकान्ता

निक - बेजाए सुन बियौ नइ
नइ त पढ़ती ओ हमरा गाइर
चुपचाप भानस बनाबs परैए
नहि त खाहु पड़त माइर

तलब छुटल त देलियनि हुनका
ख़ुशी भsकहली हमरा निक लड़का
साड़ी आ मिठाई लाबिदेली तखन
हटोली ओ नजदीकसँ सटका

फिल्म बदलल त देखाबsजाउ
कोक - नास्तामें सय-दु सय गुमाउ
रिक्सा चैढीकs आउ आ जाउ
घरमें अपनेसँ भानस बनाउ

कारी अक्षर भैंस बराबर
सुनती समाचार अंग्रेजीमें
कनियाँ नहि म्याडम कहु
त इज्जत रहत हिप्पीकें

औठा छाप भइयोकs
कलम चाही स्टेनडर
बज्जर खसुवा - मसोरुवा
सुनिकs बाहरैछी घर

दहेजक लोभमें बाबुजी
कनियाँ कsदेलैथ कारी
अखन त हम राम बनलछी
बादमें बनब महाराजी
 
 
 
सन्तोष कुमार मिश्र
जनकपुर - ७, धनुषा/हाल: सानेपा - ३, ललितपुर, काठमाण्डू, नेपाल ईमेल: santosh.mishra101@gmail.com

Read more...

कोरो आ पाढी (गीत) - विनीत ठाकुर

गरीब छोरि कs के बुझतै गरीबीके मारि
ओ तs पेटे लेल जरबै छै कोरो आ पाढी
भेल छै स्वार्थी सब नेता अपने स्वार्थ में चूर
छिनलकै जे सपना सुख भs गेलैक कोसो दूर


ओकरे पर सब मुहगरहा करैछै ब्रह्म लूट
निकालै छै ओकरेसँ फाइदा करा कs फूट
रहितै जे ओकरो लग अपन ज्ञानक बखारी
नै बनितै समाजक लेल दरिद्र ओ भिखारी


 
भेल छै बहुतो ठाम स्कूल, कॉलेजक निर्माण
पेट में अपुग दाना तहने सब किछु विरान
कोनो गोटे नै खेलाऊ ओकर जीवन सँ खेल
करिओ ओकरो आगू समाजक विकासक लेल
 
 
 
विनीत ठाकुर
माता: शान्ति देवी, पिता: ब्रह्मदेव ठाकुर, जन्म तिथि: ०१.०३.१९७६, शिक्षा: बी.एड, सेवा: शिक्षक, स्थायी पता: मिथिलेश्वर मौवाही - ६, धनुषा, नेपाल.. इ-मेल: binitthakur@yahoo.co.in

Read more...

बुधवार, 2 जून 2010

झलक मिथिला: मैथिलीक हलचल - मिथिलाक हालचाल

मैथिली भाषा केर प्रचार- प्रसार मे द्रूत गतिये वृद्धि भ' रहल अछि. झलक मिथिला - मैथिली
साप्ताहिक केर प्रथम अंक ३१ मई के निकलल. नीच विस्तृत जनतब  अछि.
First issue of Maithili Weekly   
झलक मिथिला: मैथिलीक हलचल - मिथिलाक हालचाल
Monday, 31 May २०१०
http://teoth-aihik.blogspot.com/p/blog-page_2317.html


हावडा-कोलकाता सं प्रकाशित हिंदी दैनिक समाचार पत्र सप्ताह मे एकदिन (Monday) कs पृष्ठ -
5 पर आधा पृष्ठ मैथिली समाद आ साहित्यिक रचना प्रकाशित करबाक ठनलक अछि. एकर
सफलताक बाद एकरा दैनिक आ संपूर्ण पृष्ठक कs देल जायत. पत्र  एहि मे अपनेक रचनात्मक
सहयोग केर आकांक्षा करैत अछि. आशा अछि अपने अपन रचना पठा हमरा लोकनिक मनोबल
बढायब. किछु आवश्यक दिशा-निर्देश :-
१. साहित्यक सभ विधा मे रचना आमंत्रित अछि .
२. मैथिली संस्था समाचार सेहो आमंत्रित अछि.
३. मिथिला सं संबंधित राष्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय समाचारक स्वागत अछि.
४. एहि पार ओ ओहि पार (भारत-नेपाल) केर मैथिली-मिथिला संबंधित राजनैतिक-सामाजिक
समाचार ओ आलेख आमंत्रित अछि.
५. साहित्यिक रचना अप्रकाशित रहबाक चाही.
६. समाचार प्रकाशित-अप्रकाशित भs सकैत अछि, ७ दिन सं बेसी पुरान नहि रहबाक चाही.
७. रचना लघु हो तs उत्तम.
८. रचना वा समाचारक संगहि अपन पता ओ संपर्क सूत्र देब नहि बिसरी.
सधन्यवाद,
झलक मिथिला 
मैथिलीक हलचल - मिथिलाक हालचाल
संपादक : रूपेश कुमार झा 'त्योंथ'
E-mail : jhalakmithila@gmail.com 
Blog: www.jhalakmithila.blogspot.com 
Mobile : +91-9239415921
Fax : 033-2678 7474
Phone : 033-2678 7751
Address: 31/A/1, Kalabagan Lane, Howrah - 711 104,
City Office: 21/A/1, Prince Baktya Sha Road, Kolkata - 700 033

Read more...
|| एतय अहाँ अपन विज्ञापन दिअ || Ads by: Maithil Aar Mithila Ads by: Maithil Aar Mithila मैथिल आर मिथिला विज्ञापन सेवा : एहि जालवृत पर अपन विज्ञापन देबाक लेल जालवृत टीमक ई-मेल maithiliblog@gmail.com पर सम्पर्क करू..

मिथिलाक खानपान...

मिथिलाक खानपान-नीलिमा चौधरी आ राखी साह... मखानक खीर सामग्री- दूध-१ १/२ किलो, चिन्नी-१०० ग्राम, मखान कुटल- १०० ग्राम, इलाइची पाउडर- स्वाद अनुसार, काजू- १० टा, किशमिश-२०टा बनेबाक विधि- मखानक पाउडर (कनी दरदरा)क पहिने १/२ किलो ठंढ़ा दूधमे घोरि लिअ, शेष दूध केँ खौला लिअ। आब गर्म दूधमे ई घोड़ल मखानक मिश्रण मिला दियौक आर करौछसँ लगातार चलबैत रहियौक जाहिसँ मिश्रण पेनीमे बैसय नहि। .... (आगाँ पढू)

मिथिलांचलक विकास..

मिथिलांचलक विकास... मिथिलांचल क्षेत्र बिहार मे सबस पिछड़ल मानल जाइत अछि, अगर प्रतिव्यक्ति आय , साक्षरता और प्रसवकाल मे जच्चा-बच्चा के मृत्यु के मापदंड बनायल जाय तो मिथिलांचल देश के सबस गरीब आ पिछड़ल इलाका अछि। एकर किछु कारण त अहि इलाका के भौगोलिक बनावट अछि... (आगाँ पढू)

मिथिला अरिपन....

मिथिला चित्रकला- स्त्री आ पुरुषक दशपात अरिपन / स्वास्तिक अरिपन... स्त्रीगणक दशपात अरिपनकन्याक मुण्डन,कान छेदन आ' विवाहक अवसर पर कुलदेवताक घर आकि मण्डप पर बनाओल जाइत अछि।बनेबाक- विधि। एकर बनेबाक विधि सूक्ष्म अछि।ऊपरमे तीन पातक पुष्प, ,ओकरनीँचा पाँच-पातक कमल-पुष्प,ओकर नीचाँ सात-पात युक्त्त कमल, बीचमे अष्टदल कमल अछि। दश पात चारू दिशि अछि। नौ टा माँछक चित्र सेहो अछि... (आगाँ पढू)

एक विलक्षण प्रतिभा...

एक विलक्षण प्रतिभा जिनका हम सदिखन याद करैत छी (प्रथम कड़ी) - कुसुम ठाकुर..... एक बेर हमारा एक पत्रिका में किछु लिखय लेल कहल गेल छल, ई सन् १९९६ क गप्प थिक। हम बस एतबे लिखी सकलौं "हम की लिखी हमर त लेखनिये हेरा गेल"। मुदा आई बुझना जैत अछि जे नै, हमारा एकटा कर्तव्यक निर्वाहन... (आगाँ पढू),
(दोसर कड़ी), (तेसर कड़ी), (चारिम कड़ी), (पाँचम कड़ी), (छठम कड़ी), (सातम कड़ी), (आठम कड़ी), (नवम कड़ी), (दसम कड़ी), (एग्यारहम कड़ी), (बारहम कड़ी), (तेरहम कड़ी), (चौदहम कड़ी), (पन्द्रहम कड़ी )

चिनबारक दीप...

चिनबारक दीप–उषा किरण खान... समस्तीपुर मे गाड़ी बदली कऽ महेसरी अइमे बैसलि सरिया कऽ। आब घर बेसी लग आयल जाइत छैक। चारि टीसन आ छैक, फे तऽ टीसन सऽ एक कोस जमीन हैतै। चारि-पाँच गोटाक हेंज छैक्। बौआइत-बतियाइत गाम पहुँचि जयतै। आठे दिनुका दिन छैक, की सब करतै? एह, करऽक की छैक? सभटा बस्तुजात तऽ कीननहिं जाइत छैक.... (आगाँ पढू)

बिदेसिया (संकल्पित नाटिका)

विद्यापतिक बिदेसिया (संकल्पित नाटिका).... भोजपुरीक साहित्य मैथिलीसँ कम समृद्ध अछि मुदा से अछि मात्र परिमाणमे, गुणवत्ताक दृष्टिमे ई कतेक क्षेत्रमे आगाँ अछि। भोजपुरीक भिखाड़ी ठाकुरक बिदेसियाक सन्दर्भमे हम ई कहि रहल छी। भिखाड़ी ठाकुर कलकत्तामे प्रवासी... (आगाँ पढू)

पाँच पत्र...

पाँच पत्र-हरिमोहन झा... प्रियतमे अहाँक लिखल चारि पाँती चारि सएबेर पढ़लहुँ तथापि तृप्ति नहि भेल। आचार्यक परीक्षा समीप अछि किन्तु ग्रन्थमे कनेको चित्त नहि लगैत अछि। सदिखन अहींक मोहिनी मूर्ति आँखिमे नचैत रहैत अछि। राधा रानी मन होइत अछि जे अहाँक ग्राम वृन्दावन बनि जाइत, जाहिमे केवल अहाँ आ हम राधा-कृष्ण जकाँ अनन्त काल धरि विहार करैत रहितहुँ... (आगाँ पढू)

कथा- माउगि

कथा- माउगि - विभा रानी.... माउगि, माउगि, गे माउगि, गे माउगि! तों माउगि, हम माउगि, ई माउगि, ऊ माउगि - सभ किओ माउगे-माउगि। ऊँहूँ - सभ किओ भला माउगि हुअए। ई तय कर' बाली तों के? अएं गे? तोरा कहिया स' भेटलौ ई हक? ई सभ काज-धंधा हमरा आओरक अछि - हमरे आओर के करे दें। देख त' कने, तोहरो आओर के कतेक रंग-बिरंगा रूप दिया देलियौ! माउगि, गे माउगि.... (आगाँ पढू)

मातृत्व...

डा. मंजू गीता मिश्राक आलेख : मातृत्व.... नारी जीवनक सबसँ गौरवशाली एवं सुखद अनुभव थिक मातृत्व ।ई नारी जीवनक परिपूर्णताक प्रतीक अछि । पूरा नौ मास अपन गर्भमे फलैत-फूलैत एक शिशुक अपन जान सँ बेसी देखभाल करैत छथि । तत्पश्चात एक फूल सन सुन्दर सुकोमल शिशु जन्म लैत अछि, यैह स्त्रीक सबसँ अनमोल उपहार एवं आनन्ददायक क्षण थिक । एहि नौ मासक दौरान गर्भवतीक भोजन एवं वातावरण पर निर्भर करैत अछि.... (आगाँ पढू)
© कॉपीराइट सूचना:
मैथिल आर मिथिला
सर्वाधिकार सुरक्षित। एहि जालवृत्तपर ई-प्रकाशित कोनो रचनाकेँ प्रिंट, दृश्य, श्रव्य,इलेक्ट्रॉनिक वा कोनो डाटा स्टोरेज माध्यमसँ स्थांतरण वा प्रकाशन बिना सम्बन्धित प्रस्तुतकर्त्ता/ लेखकगणक, जिनकामे ओहि रचनाक कॉपीराइट निहित छन्हि, लिखित अनुमतिक नहि कएल जा सकैत अछि।

  © Maithil Aar Mithila. All rights reserved. Website Design By: Jitmohan Jha (Jitu)

Back to TOP